मैथिली गीत
मैथिल गीत
October 1, 2013
0

बहीना सिया के दुल्हा श्यामल चितचोर गे

देवर लखन छथीन गोर गे ना ।।

 

जखन राम अबध सौँ चलला

बनमे तारका सुबाहु के मारला – २

उनका चरण के धुइल सौँ  बैनगेल पत्थल सौँ नारगे ।।

देवर लखन छथीन गोर गे ना ।।

 

राजा जनकजी स्वंयम्बर कएला

त्खन राम जनकपुर अयला

धनुष के तोडिते मे मचिगेल चारो दिशामे शोर गे ।।

देवर लखन छथीन गोर गे ना ।।

 

 

देखिके राम सियाके जोरी

जेना चाँदमे चमके चकोरी

देखिके टपकैय हमरा आँखी सँ लोर गे ।।

देवर लखन छथीन गोर गे ना ।।

Leave a Reply