मैथिली गजल
मैथिली गजल
June 24, 2013
0

रुप रँग एके दुख रँज एके
दोसराके पछाड़यके ढँग कते

भेल बहुत भेल आबो सोचियौ
तौलू अपना मे अछि ढँग कते

ई हम कयलौं तों की कयले
कहिआ धरि आ ई प्रपँच कते

बिनु बातक रगड़मे पड़ल रहब
अहिसँ अछि मिथिला तँग कते

क्षय नै दोसराक, देश राग रचू
अपन जयक रचू नव छँद जते …!        अनिल मल्लिक  !!!

Leave a Reply