कनियाँ परीछन
Lyrics of Maithili Kaniya Parichhan song – lale lale palki par bhabi ayeli mor
December 22, 2013
0

                        कनियाँ परीछन

लाले लाले पालकी पर भाबी ऐली मोर, परिछन चलु सखीया भैयाके कनिया गोर ।
जनकपुर से भाबी ऐली अबध नगरीया, सँगमे लैली भाबी भैया यो चेरीयाँ
भाबीके पीछे चेरीयाँ करे जुलम जोर परिछन चलु सखीया भैयाके कनिया गोर । 
चलु चलु चलु सखीया परीछन भौजी लिय आहे चेरीया सोनाके गंगरीया,
बाँसक डाला लक चली अम्मा मोर, परिछन चलु ......
हँसी हँसी पुछथीन दुल्हाँके भाबी कहु कहु देवोर जी केहन ससुररीया 
की पुछैछी भाबी शाली देखी भेली बिभोर, परिछन चलु ......
देहरी छेकला अ‍ेली छोटकी बहिनीयाँ दीय दीय भैया सोनाके अँगुठीया 
देहरी छेकला कँगन देली मोर, परिछन चलु ......