विधापति गीत
Lyrics of Maithili Song – Jai Jai Bhairavi Ashur Vayawani
April 29, 2015
0

 

जय जय भैरवि

जय जय भैरवि असुर भयाउनि
पशुपति भामिनि माया ।
सहज सुमति बर दिय हे गोसाउनि
अनुगति गति तुअ पाया ।।

बासर रैनि सवासन शोभित
चरण चन्द्रमणि चूडा ।
कतओक दैत्या मारि मुँह मेललि
कतओ उगिलि करु कूडा ।।

सामर वरण नयन अनुरंजित
जलद जोग फुलकोका ।
कट–कट विकट ओठ पुट पाँडरि
लिधुर फेल उठ फोका ।।

घन–घन–घनन घुघुरु कत बाजए
हन–हन कर तुअ काता ।
विद्यापति कवि तुअ पद सेवक
पुत्र विसरु जनु माता ।।

 

किछ सुन्दर मैथिली भिडियो गीत