समधी
Maithili Samadhi Song- Jaldi Jaldi khau pahun
February 25, 2014
0

                  समधी

जल्दी जल्दी खाउँ पाहुन राईत बितैय
एक कनटर तेल हमरा डेली जरैय
भात ताबे खाउँ पाहुन दाल अबैय
तरकारी ला गारी बजार गेलैय
बरी ताबे खाउँ समैध सकरउरी अबैय
तेल ला मुखिया साहेब परमेन्ट कटैय
दही ताबे खाउँ समैध घी अबैय 
चीनि ला मुखिया साहेब परमेन्ट कटैय
                  (२)
समैध और सुनब गीत
दाल खेलौ, भात खेलौ, और खेलौ घी
चलैत के बेर समैध टीक पर लेसब दीप
समैध और सुनब गीत
दुध खेलौ, दहि खेलौ, और खेलौ घी
चलैत के बेर समैध टीक पर लेसब दीप
समैध और सुनब गीत

Leave a Reply